• प्रदीप दास // रौतहट जिल्लाके कटहरिया नगरपालिकाके नगर उप-प्रमुख नूरजहाँ खातुनके अध्यक्षतामे अपांग सम्नवय समितिके बैठक सम्पन्न भेल हए। बैठकमे बिभिन्न निर्णय सब कएल गेल हए।

    पहिल बैठकसे नगरपालिकाके वार्ड नं १,२ के २३ जना ,दोसर बैठकसे वार्ड नं ३,४,५,६,के जम्मा ३० जना आ तेसरका बैठकसे वार्ड नं ७,८,९ के १७ जना करके सभी वार्डके जम्मा ७० जना अपाङ्ग सबके क, ख, ग, घ, वर्ग समेत बैठकसे छनौट कएले छत ।

    यी अवसरमे कटहरिया नगरपालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत मनोज कुमार रजक, समाजसेवी यूवा नेता नसरूदिन अन्सारी, नगरअध्यक्ष योगेन्द्र साह, प्रअ योगेन्द्र कुशवाहा, डाक्टर यासुमल, कौशल चौधरी, रामनरेश यादव, हरिन्दर यादव, रामगणेश साह, संघसंस्थासे राजेश साह, महिला सदस्य सिता देवी लगायत पत्रकार सबके रोहवरमे बैठक सम्पन्न भेल कटहरिया नगरपालिकाके नगर उप – प्रमुखके स्वकीय सचिव रामआधार यादव जानकारी देले छत ।