• २४ असार २०७७
  • (Wednesday 08 July, 2020)

    प्रदीप दास ,गरुडा ,रौतहट।

    रौतहट न्यूज//रौतहट जिल्लाके धरहरिमे रहल रेडियो संगमके एक सहकर्मीके उपर लुटेराके समूह आक्रमण कएले हए । जिल्लाके गरुडा नगरपालिका आ वृन्दावन नगरपालिकाके उत्तर-पश्चिम सिमामे परेवाला चार शेहर नाहरपर लुटेराके समूह आक्रमण कएले हए।

    लुटेरा सब अपहरणके शैलिमे ना. ६३ प. ५४२९ नम्बरके यामाहा सैलूटो मोटर साईकलसे सिसवा धमौरा बरियात जारहल रेडियो संगम १०५.५ मेघाहर्जके समाचारवाचक दीपेन्द्र रजकके घेरके पिटपाट करके घाईते बनएले हए। मोटरसाइकलसे रिपोर्टिंग करके बरियात जारहल समय ६/७ जनाके हथियारधारी समूह संचारकर्मी रजकके छातिपर बन्दुक साटाके जान मारेके धम्कि देईत नाहरके पूल नीचे लेजाके पिटपाट करके १ थान स्क्रीन टच मोबाईल , १ थान स्मार्ट फोन ,सोनाके सिक्री १ तोला आ नगद रू. २० हजार लुटले हए। डाक्कुके समूह लूटेके मनशायसे उहे रास्तासे जारहल दोसर मोटरसाईकलके समेत नियन्त्रणमे लेके ओपर सवार व्यक्ति केभी पिटपाट शुरु कएले रहे ।

    उहे क्रममे मोटरसाइकल पर सवार होके आएल दोसर व्यक्ति घाइते रजकके घेरके पिट रहल आ साथी सबके घेरले देख्के डाक्कु सबसे बचाबेला प्रहरीके फोन करके खबर कएले रहे। एने नाहरके पेटीसे संचारकर्मी रजक अपन जान बचाबेला चिकना चमनपूर गाओके ओर भागके जान बचाबेमे सफल भेल हए। गाओमे वार्ड अध्यक्ष शेख असलमसे भेट करके घटनाके बारेमे जानकारी देले रहे। रजकके सभी बात सुनके वार्ड अध्यक्ष शेख असलम नज्दिके रहल हर्षहा चौकीमे खबर कएले रहलन।

    खबर कएले कुछे समय बाद गरुडा ,बिर्ता आ हर्षहासे खटल संयुत प्रहरीके गस्ती टोलि स्थानीय सबके सहयोगमे घटना भेल जगहसे २ जना लुटेराके पक्राउ करेमे सफल भेल हए। पक्राउ परल लुटेरासब अन्दाजी ३५ आ २३ बर्ष के २ जने पुरुष रहल आ और सब फरार रहल हए। लुटेरा सबके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे राखल गेल हए आ फरार भेल आउरो लुटेरा सबके खोजि होरहल गरुडा प्रहरी जनएले हए। पक्राउ परल २ जनाके उपर लुटपाट आ जान मारेके मुद्दा चलाबेके आ एकरा बारेमे थप अनुसन्धान होरहल डि.एस.पी. ज्ञान कुमार महतो जानकारी देले छत।

    प्रतिक्रिया पोस्ट गर्नुहोस्

    Your email address will not be published. Required fields are marked *